३२ आषाढ २०८३, बिहिबार

विद्युत निर्यात क्षमता एक हजार ६ सओ ५० मेगावाट पहुँचेबाक सहमति

Logo
Pulse Khabar बिहिबार, आषाढ ३२, २०८३

काठमाण्डू: नेपाल आ भारतक ऊर्जा सचिवस्तरीय संयुक्त निर्देशक समितिक बैसार नेपालसँ एक हजार ६ सओ ५० मेगावाट बराबरके बिजुली निर्यात करबाक विषयमे सहमति जनौलक अइछ ।

हाल सञ्चालनमे रहल ढल्केबर–मुजफ्फरपुर आ ढल्केबर सीतामढी अन्तरदेशीय प्रसारण लाइनसँ एक हजार ४ सओ मेगावाट बिजुली आयात करबाक सहमति भेल अइछ । तहिना, निर्यातदिस एक हजार एक सओ मेगावाटसँ एक हजार ६ सओ ५० मेगावाट पहुँचेबाक सहमति भेल ऊर्जा जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सहसचिव सन्दीप कुमार देव जानकारी देलैन । तहिना, चमेलिया जौलजीवी २ सओ २० केभी ‘डबल सर्किट’ प्रसारण लाइनके विस्तृत आयोजना प्रतिवेदन बैठकसँ स्वीकृत कएल गेल अइछ । उक्त आयोजना २०२८ के डिसेम्बरधैर निर्माण सम्पन्न करबाक लक्ष्य राखल गेल अइछ । न्यू पुर्निया आ दोदोधारा बरेली ४ सओ केभी क्षमताके अन्तरदेशीय प्रसारण लाइन निर्माणक लेल संयुक्त उपक्रम कम्पनी स्थापना करबाक प्रक्रियाकेँ तीव्रता देबाक सहमति सेहो बैसारमे भेल प्रवक्ता देव जानकारी देलैन । तहिना, मोतिहारी– निजगढ ४ सओ केभी डबल सर्किट, लखनऊ कोहलपुर ४ सओ केभी प्रसारण लाइनके हकमे थप प्राविधिक अध्ययन कएल जाएत । नयाँ बुटवल–गोरखपुर ४ सओ केभी प्रसारण लाइन तत्कालके लेल २ सओ २० केभीमे सञ्चालन करबाक प्राविधिक सहमति भेल अइछ । उक्त प्रसारण लाइनके नेपाल खण्डके निर्माण २०२६ के अगस्तधैर सम्पन्न हएत । तहिना, सबस्टेसनके निर्माण २०२७ के डिसेम्बरधैर सम्पन्न हएत । उक्त प्रसारण लाइनसँ तत्काल एक सओ ३० मेगावाट बराबरके बिजुली आयात क सकबाक आ २ सओ मेगावाट बराबर निर्यात कएल जा सकैय ।

ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सचिव सरिता दवाडी आ भारत सरकारक विद्युत मन्त्रालयके सचिव पङ्कज अग्रवालके सहअध्यक्षतामे निर्देशक समितिके १३म बैसार बुधदिन पोखरामे सम्पन्न भेल ।ओइसँ पहिने मङ्गलदिन पोखरामे संयुक्त कार्यदलके १३म बैसार सम्पन्न भेल छल । उक्त बैसारके सहअध्यक्षता ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालयके सहसचिव सन्दीप कुमार देव आ भारत सरकारके विद्युत मन्त्रालयके सहसचिव (प्रसारण) पङ्कज कुमार केलैन ।बैसारमे जलविद्युत परियोजनाके विकास, विद्युत व्यापार आ प्रसारण पूर्वाधारलगायत दू पक्षीय ऊर्जा क्षेत्रक विविध सहकार्यके विविध विषयमे समीक्षा कएल गेल छल । दूनु पक्ष ४ सओ केभी गोरखपुर–न्यू बुटवल लाइनसहित नयाँ प्रसारण लाइनके विकासमे भेल प्रगतिके प्रशंसा कएल गेल छल । हाल सञ्चालनमे रहल आ प्रस्तावित विद्युत उत्पादन तथा प्रसारण आयोजनाक कार्यावंयनकेँ तीव्रता देबाक लेल आवश्यक सहजीकरण करबाक उपायके बारेमे परामर्श कएल गेल छल ।ऊर्जा, जलस्रोत तथा सिँचाइ मन्त्रालय अनुसार दूनु देशक ग्रिडके समवंयात्मक सञ्चालन, सौर्य ऊर्जा परियोजनाके विकास, ग्रिन हाइड्रोजनमे सहकार्य आ नेपाली विज्ञसभक क्षमता अभिवृद्धिलगायतक विषयमे परामर्श भेल छल ।

प्रतिक्रिया
हाम्रो बारे

श्री पल्स खबर प्रा लि
बिराटनगर – ५,मोरंग।
९८५२०२०७५७

[email protected]

सूचना प्रसारण विभाग

दर्ता प्रमाणपत्र नम्बर: ५०६५-२०८१/२०८२

टीमहरु

कार्यकारी निर्देशक : नवलप्रसाद उपाध्याय

सम्पादक  : नविन पहाडी

कार्यकारी सम्पादक : शशांक पौडेल

प्रमुख सम्वाददाता : सौरभ फुयल

बजार व्यवस्थापक :संजोग पौडेल

 

 

सम्पर्क

बिज्ञापनको लागी:

9862006206